मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान - रजि.

  • Home
  • India
  • Benipatti
  • मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान - रजि.

मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान - रजि. समाजीक, साहित्यिक व सांस्कृतिक संस्थान

02/11/2025
02/11/2025
30/10/2025

हकार,, 40म् मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह ,बेनीपट्टी
तिथि - 2, 3 व 4 नवंबर 2025
स्थान - श्री लीलाधर उच्च विद्यालय ,बेनीपट्टी
आयोजक - मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी ( रजि.)

 #मिथिला_गौरव_सम्मान - 2025अपने सभकेँ जनतब अछि जे मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी प्रतिवर्ष विभिन्न क्षेत्रम...
28/10/2025

#मिथिला_गौरव_सम्मान - 2025
अपने सभकेँ जनतब अछि जे मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी प्रतिवर्ष विभिन्न क्षेत्रमे विशिष्ट काज कएनिहार उत्कृष्ट प्रतिभा सभकेँ मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोहमे "मिथिला गौरव सम्मानसँ" अलंकृत करैत आबि रहल अछि। एहि बेर मिथिला गौरव सम्मानसँ विशिष्ठ प्रतिभाकेँ सम्मानित करबाक घोषणा करैत हमसब अत्यन्त हर्षित छी।

मिथिला गौरव सम्मानसँ अलंकृत होइवला विराट् व्यक्तित्व छथि :-
1. #श्री_काश्यप_कमल( नाटककार, रंगकर्मी एवं निर्देशक- संगीत नाटक अकादमी, नई दिल्ली).
2. #श्री_अजय_पी०_झा( प्रख्यात मोहन विना वादक).
3. #डॉ०_अमलेन्दु_शेखर_पाठक( प्रख्यात साहित्यकार एवं पत्रकार).
4. #श्री_विजय_इस्सर_वत्स( गजलकार, गीतकार, गायक एवं अभिनेता).
5. #मो०_फिरोज_आलम( संवाददाता, बिहार न्यूज विजन एवं डेन न्यूज चैनल मधुबनी).
6. #डॉ०_रानी_झा( प्रख्यात मिथिला चित्रकार एवं कवि).
7. #डॉ०_राम_उदगार_राम( चिकित्स्क, बेनीपट्टी- मधुबनी).
8. #श्रीमती_रूबी_देवी_पाठक( मूर्तिकला, हस्तकला एवं मिथिला चित्रकार, जनकपुरधाम).
9. #श्री_शुभाष_बीरपुरिया( मैथिली लोक गायक, राजविराज, नेपाल).
10. #डॉ०_आलोक_कुमार_पाठक( प्रचार्य, कालिदास- विद्यापति विज्ञान महाविद्यालय, उच्चैठ).

 #मिथिला_शिखर_सम्मान - 2025अपने सभकेँ जनतब अछि जे मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी प्रतिवर्ष विभिन्न क्षेत्रम...
22/10/2025

#मिथिला_शिखर_सम्मान - 2025
अपने सभकेँ जनतब अछि जे मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी प्रतिवर्ष विभिन्न क्षेत्रमे अतीविशिष्ट काज कएनिहार उत्कृष्ट प्रतिभा सभकेँ मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोहमे "मिथिला शिखर सम्मानसँ" अलंकृत करैत आबि रहल अछि। एहि बेर मिथिला शिखर सम्मानसँ अतीविशिष्ठ प्रतिभाकेँ सम्मानित करबाक घोषणा करैत हमसब अत्यन्त प्रफुल्लित छी।

मिथिला शिखर सम्मानसँ अलंकृत होइवला विराट् व्यक्तित्व प्छथि :-
1. #पद्मश्री_शिवन_पासवान_जी( मिथिला पेंटिंग( गोदना) चित्रकला).
2. #डॉ_फूलो_पासवान_जी( प्रधानाचार्य जे एन. कॉलेज, मधुबनी).
3. #श्री_जीवनाथ_चौधरी_जी( अध्यक्ष, मैथिलि विकास कोष, जनकपुरधाम, समाजसेवी).
4. #श्री_सुनील_कुमार_मल्लिक_जी( ख्यातिलब्ध संगीतकार, गायक एवं लेखक).
5. #श्री_ऋषि_बशिष्ठ_जी( ख्यातीलब्ध नाटककार, रामगकर्मी एवं लेखक).

 #स्व_ललित_नारायण_मिश्र_जी( मिथिला अमृत महारत्न सम्मान - 2025)कार्त्तिक धवल त्रयोदशी,2025 तदनुसार दि. 2-4 नवम्बर 2025केँ...
12/10/2025

#स्व_ललित_नारायण_मिश्र_जी( मिथिला अमृत महारत्न सम्मान - 2025)
कार्त्तिक धवल त्रयोदशी,2025 तदनुसार दि. 2-4 नवम्बर 2025केँ मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी द्वारा आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोहमे विभिन्न क्षेत्रमे अतिविशिष्ट उपलब्धिक लेल विभिन्न सारस्वत सम्मान प्रदान कयल जाइत अछि। सर्वसम्मतिसँ चयनित मिथिलाक गौरव, महान स्वतंत्रता सेनानी स्व ललित नारायण मिश्र जीकेँ एहि बेर "मिथिला अमृत महारत्न सम्मान" सँ अलंकृत करबाक घोषणा करैत हमसब हर्षित छी।

संक्षिप्त परिचय :-

मिथिलाक महान सपुत "ललित नारायण मिश्र " जीक जन्म 02 फ़रवरी 1923 कें सुपौल जिलाक बसुपट्टी गाँव (बलुआ) में भेल छलैन्ह। पिछड़ल मिथिला कें राष्ट्रीय मुख्यधाराक समकक्ष लाबय केर हुनक प्रयास अतुलनीय छल। छात्र जीवन में राजनीति मे प्रवेश केलक बाद 1945-48 मे पटना विश्वविद्यालय स' अर्थशास्त्र मे एम ए केलाह आ 1950 मे अखिल भारतीय कांग्रेस समितिक सदस्य बनलाह जाहि स हुनका राष्ट्रीय पहचान भेटल, सर्वसम्मति स' 1972 मे कांग्रेस कार्य समितिक सदस्य चुनल गेलाह। अप्पन राजनितिक जीवन काल मे संसदीय सचिव, योजना, श्रम आ रोजगार मंत्रालय आदि मे कार्यरत रहलाह आ 1973 स् 1975 तक भारत केर रेलमंत्री रहलाह। विदेश व्यापार मंत्रीक रूप मे, बाढ़ नियंत्रण एवं कोशी योजना मे पश्चिमी नहर केर निर्माणक लेल नेपाल-भारत समझौता करौलन्हि। मिथिला चित्रकला (मधुबनी पेंटिंग) के देश-विदेश में प्रचारित कअ प्रतिष्ठा दियाबय मे हुनक प्रमुख योगदान रहल, रेल मंत्रीक रूप मे मिथिलाक 36 गो रेल योजना के सर्वेक्षण हेतु स्वीकृति देलैथि, जाहि मे पिछड़ल क्षेत्र झंझारपुर-लौकहा रेललाइन, भपटियाही स' फारबिसगंज रेललाइन आदि छल। अपन मातृभाषा मैथिली सअ हुनक अगाध प्रेमक परिणाम छल जे 1963-64 मे मैथिली कें 'साहित्य अकादमी' मे भारतीय भाषाक सूची मे सम्मिलित केल गेल। 3 जनवरी 1975 कें समस्तीपुर बम-विस्फोट कांड मे हुनक निधन भअ गेलैन्ह ।।

सस्नेह हकार...🙏अपार हर्षक संग सूचित कऽ रहल छी जे मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी तिथि- 2, 3 व 4 नवम्बर 2025 ...
06/10/2025

सस्नेह हकार...🙏
अपार हर्षक संग सूचित कऽ रहल छी जे मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी तिथि- 2, 3 व 4 नवम्बर 2025 ई० तदनुसार द्वादशी, त्रियोदशी व चतुर्दसी दिन, कालीदास आ विद्यापतिक जन्म स्थलक मध्य अवस्थित श्री लीलाधर उच्च विद्यालय,बेनीपट्टीक विशाल प्रांगण में 41 म् मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह-सह-मैथिल महासम्मेलनक भव्य आयोजन सुनिशचित कएलक अछि। एहि त्रिदिवसीय समारोहक निर्धारित कार्यक्रम में मिथिला-मैथिलीक वरद् पुत्र, मूर्धन्य विद्वान, प्रख्यात कवि, राजनेता आ कलाकार गन भाग लय रहल छथि।
समारोह मे मिथिला-मैथिली के विभिन्न क्षेत्र मे अपन प्रतिभा के बल पर उत्कृष्ट योगदान देनिहार आ मिथिलाक मान-सम्मान बढ़ोनिहार मिथिलाक एकटा "अति-अतीविशिष्ट" व्यक्तित्व कें "मिथिला अमृत महारत्न समान" "अतिविशिष्ट" व्यक्तित्व के "मिथिला शिखर सम्मान" आ "विशिष्ट" व्यक्तित्व के "मिथिला गौरव सम्मान" सं सम्मानित कैल जेत। अपनेक लोकनिक स्नेह,सहयोग आ आशीष हमरा लोकनिक संबल अछि आओर ताहि बले ई संस्थान अपन आर्दश व सिद्धांतक संग मिथिला-मैथिलीक सर्वांगीण विकासक उद्देश्य-पथ पर गत 41 वर्ष सँ अग्रसर अयछ।
अतएव एहि स्मृति पर्व समारोह में अपने लोकनि तीनु रात्रि सादर आमंत्रित छि आओर संस्थान अपने लोकनिक उपस्थिति,सहयोग आ मार्गदर्शनक आकांक्षी अछि ।

जय मिथिला , जय मैथिली, जय मैथिल ll

निवेदक - मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी ( रजि.)

🙏 सबजना हकार...41म् मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह,बेनीपट्टी 🙏🙏अपार हर्षक संग सूचित कऽ रहल छी जे मिथिलांचल सर्वांगीण व...
18/09/2025

🙏 सबजना हकार...41म् मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह,बेनीपट्टी 🙏🙏
अपार हर्षक संग सूचित कऽ रहल छी जे मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी तिथि- 2, 3 व 4 नवम्बर 2025 ई० तदनुसार द्वादशी, त्रियोदशी व चतुर्दसी दिन, कालीदास आ विद्यापतिक जन्म स्थलक मध्य अवस्थित श्री लीलाधर उच्च विद्यालय,बेनीपट्टीक विशाल प्रांगण में 41 म् मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह-सह-मैथिल महासम्मेलनक भव्य आयोजन सुनिशचित कएलक अछि। एहि त्रिदिवसीय समारोहक निर्धारित कार्यक्रम में मिथिला-मैथिलीक वरद् पुत्र, मूर्धन्य विद्वान, प्रख्यात कवि, राजनेता आ कलाकार गन भाग लय रहल छथि। समारोह मे मिथिला-मैथिली के विभिन्न क्षेत्र मे अपन प्रतिभा के बल पर उत्कृष्ट योगदान देनिहार आ मिथिलाक मान-सम्मान बढ़ोनिहार मिथिलाक "अतिविशिष्ट" लोकनि के "मिथिला शिखर सम्मान" आ "विशिष्ट" लोकनि के "मिथिला गौरव सम्मान" सं सम्मानित कैल जेत। अपनेक लोकनिक स्नेह,सहयोग आ आशीष हमरा लोकनिक संबल अछि आओर ताहि बले ई संस्थान अपन आर्दश व सिद्धांतक संग मिथिला-मैथिलीक सर्वांगीण विकासक उद्देश्य-पथ पर गत 41 वर्ष सँ अग्रसर अयछ।
अतएव एहि स्मृति पर्व समारोह में अपने लोकनि तीनु रात्रि सादर आमंत्रित छि आओर संस्थान अपने लोकनिक उपस्थिति,सहयोग आ मार्गदर्शनक आकांक्षी अछि ।

जय मिथिला , जय मैथिली, जय मैथिल ll

निवेदक - मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान,बेनीपट्टी ( रजि.)

अखबारक कतरन....मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह, बेनीपट्टीमिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान - रजि.
01/08/2025

अखबारक कतरन....

मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह, बेनीपट्टी
मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान - रजि.

अखबारक कतरन....मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह, बेनीपट्टी
29/07/2025

अखबारक कतरन....

मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह, बेनीपट्टी

अखबारक पुरान कतरन....मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह, बेनीपट्टी
29/07/2025

अखबारक पुरान कतरन....

मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोह, बेनीपट्टी

Address

बेनीपट्टी
Benipatti
847223

Telephone

+91 75450 43671

Website

Alerts

Be the first to know and let us send you an email when मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान - रजि. posts news and promotions. Your email address will not be used for any other purpose, and you can unsubscribe at any time.

Contact The Organization

Send a message to मिथिलांचल सर्वांगीण विकास संस्थान - रजि.:

Share

Category